Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
11 Oct 2021 · 2 min read

बैसारीमे

● ●
□डा0 जय नारायण गिरि” इन्दु ”
¤¤¤¤¤
(लॅक डाउनक कालमे लिखल गेल ई कविता)
~~~•••~~~•••××ו••~~~•••~~~
लॅक डाउनमे बन्द भेल छी कहू अपन की हाल विशेष
धंधा अपन छोड़ि छी वैसल आइ काल्हि बैसारीमे

सदिखन हाथ सिरिंज रहै छल गरदनिमे लटकल आला
खुरपी डोल उठा नेने छी आइ काल्हि बैसारीमे

कखनहु फेसबुक चला लैत छी, कखनहु टीभी देखै छी
धीया पूता संग दिन कटै छी आइ काल्हि बैसारीमे

कखनहु पोती देह जँतै अछि कखनहु छिनै कलम किताब
बिस्कुट लेल अड़ै अछि कखनहु आइ काल्हि बैसारीमे

कखनहु शांत रहै अछि दूनू खनो करैत अछि बदमाशी
दादा केर सिनेह भेटल छन्हि आइ काल्हि बैसारीमे

रातिमे कखनहु कविता लिखी, निश्चित देखी रामायण
करी बात हम सऽर कुटुम्बसँ आइ काल्हि बैसारीमे

खोजि खोजि कऽ फोन डायरीसँ नम्बर हम बहार करी
कुशलक्षेम पूछी संगीसँ आइ काल्हि बैसारीमे

कारनी देखि ठेकान रहै नै कखन करी भोजन जलपान दूनू पुतोहु चूल्हि छथि फूकने आइ काल्हि बैसारीमे

कखनहु ओ तरूआ तरैत छथि खन ओ खीर बनाबै छथि
कखनहु चटनी चोखा बनवथि आइ काल्हि बैसारीमे

आग्रह भोजनकें करथिन ओ वेरि वेरि, हम खाइ कतेक
पत्नी चाह पियावथि सदिखन आइ काल्हि बैसारीमे

बाड़ी तामी कोड़ी सदिखन करी पटौनी मोटर सँ
लहलह करै करैलक लत्ती आइ काल्हि बैसारीमे

भांटा घेरा पटुआ गेन्हरी बड़बट्टी कुन्दरी ओ परोड़
श्रमक फलसँ सभ हरियर अछि आइ काल्हि बैसारीमे

कटहर आममे फल लुबधल अछि करी पटौनी हप्ता बाद
केरा गाछ हरित डगडग अछि आइ काल्हि बैसारीमे

दिनमे दू वेरि ब्रश करै छी सांझ सवेर करी स्नान
नौ वेरि हाथ धोइ साबुनसँ आइ काल्हि बैसारीमे

बैसारीमे हिलल मिलल छी अपन सभ परिवारक संग
सुख दुःख बांटि रहल छी संग संग आइ काल्हि बैसारीमे

~~~~~~□□□~~~~~~□□□~~~~~~

Language: Maithili
1 Like · 234 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
💐प्रेम कौतुक-321💐
💐प्रेम कौतुक-321💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
*पूजा का थाल (कुछ दोहे)*
*पूजा का थाल (कुछ दोहे)*
Ravi Prakash
मईया रानी
मईया रानी
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
एक हसीं ख्वाब
एक हसीं ख्वाब
Mamta Rani
आता जब समय चुनाव का
आता जब समय चुनाव का
Gouri tiwari
धुँधलाती इक साँझ को, उड़ा परिन्दा ,हाय !
धुँधलाती इक साँझ को, उड़ा परिन्दा ,हाय !
Pakhi Jain
जिम्मेदारी और पिता (मार्मिक कविता)
जिम्मेदारी और पिता (मार्मिक कविता)
Dr. Kishan Karigar
वह आवाज
वह आवाज
Otteri Selvakumar
जाने बचपन
जाने बचपन
Punam Pande
24/252. *छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
24/252. *छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
शेखर सिंह
शेखर सिंह
शेखर सिंह
हार पर प्रहार कर
हार पर प्रहार कर
Saransh Singh 'Priyam'
అదే శ్రీ రామ ధ్యానము...
అదే శ్రీ రామ ధ్యానము...
डॉ गुंडाल विजय कुमार 'विजय'
■ आज का आख़िरी शेर-
■ आज का आख़िरी शेर-
*Author प्रणय प्रभात*
अंबेडकर जयंती
अंबेडकर जयंती
Shekhar Chandra Mitra
जहां आपका सही और सटीक मूल्यांकन न हो वहां  पर आपको उपस्थित ह
जहां आपका सही और सटीक मूल्यांकन न हो वहां पर आपको उपस्थित ह
Rj Anand Prajapati
अधूरी दास्तान
अधूरी दास्तान
हिमांशु बडोनी (दयानिधि)
स्कूल चलो
स्कूल चलो
Dr. Pradeep Kumar Sharma
हम दोनों के दरमियां ,
हम दोनों के दरमियां ,
श्याम सिंह बिष्ट
हे ईश्वर
हे ईश्वर
Ashwani Kumar Jaiswal
प्रभु शुभ कीजिए परिवेश
प्रभु शुभ कीजिए परिवेश
Umesh उमेश शुक्ल Shukla
कौआ और कोयल ( दोस्ती )
कौआ और कोयल ( दोस्ती )
VINOD CHAUHAN
निःशुल्क
निःशुल्क
Dr. Kishan tandon kranti
कनि हँसियाै ने सजनी kani hasiyo ne sajni lyrics
कनि हँसियाै ने सजनी kani hasiyo ne sajni lyrics
Music Maithili
*अज्ञानी की कलम*
*अज्ञानी की कलम*
जूनियर झनक कैलाश अज्ञानी झाँसी
अब किसपे श्रृंगार करूँ
अब किसपे श्रृंगार करूँ
डॉ०छोटेलाल सिंह 'मनमीत'
शिव - दीपक नीलपदम्
शिव - दीपक नीलपदम्
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
अमृत मयी गंगा जलधारा
अमृत मयी गंगा जलधारा
Ritu Asooja
भाग्य का लिखा
भाग्य का लिखा
Nanki Patre
आंधी
आंधी
Aman Sinha
Loading...